करवा चौठ......

करवा चौठ......

(उन्टा पून्टा).....

#...यौ....सुनै छियै... एम्हर ताकियौ ने....

#....की... बाजू ने.... कान फूजले अई हमर.

#....धौर ...कने काल टीवी के बन्द न क दियौ.. एकटा बात करबाक अई हमरा. ..

#...कहू न.. की बात.. सुनि रहल छी हम...

#..काईल्ह कथी छियै से बुझहल अई. .???

#...हँ... इंडिया पाकिस्तान के क्रिकेट मैच छियै...

#...उँ....जे नै से..... अहाँके त एतबहि रहैत अई हरदम....

#...त. .कथी छै काईल्ह....

#...काईल्ह.. करवा चौठ पाबैन छीयै...

#...हँ त से.... से की...

#..हमहूँ करबै. .

#...धू..कथी लेल. . अपना मैथिल संस्कारक पाबैन नै छिकै करवा चौठ...

#...हम जनैत रहियै.. अहाँ ईयेह बात कहबै.. एतेक जे हंगामा लोक सब करै छै से सब पागल छै.. नै..

#..अरे हम से नै कहै छी... कोनो बूढ़ पुरान लोक सब के कहियो देखबो केलियै... गाम घर में ई पाबैन करैत. ..

#...सबटा बुझहै छी हम. . हमर कोन बात कहिया मानलौं जे आय मानब अहाँ... रूपम के मम्मी सब कैहते रहय जे अहाँक घरबला नै करय देत अहाँके.. बड बिच्छी छोराबै बला लोक छैथ अहाँके बर..

#...ओ. . त से कहू ने.. जे लोकक देखौंस करब अहाँ..

#...ऐहि में देखौंस के कोन गप छै... सब मिल जुलि करै छै त और न नीक होईछै... हमर त कपारे जरल छै... हम मरबै त सबटा कपार पर उठेने जेबै... लोक अपने लोक बेद लेल पाबैन करै छै कि अनका लेल...

#...जखन एतेक लोल लागल अई त करू ने... हमरा पुछबाके कोन काज....

#...एतेक पाबैन आ उपास तिहार त कैरते छी हम... कहिया कथी लेल पुछलौं अहाँके... कहियो बुझबो करै छियै जे कोना क की होई छै.. ओ त.. ऐ पाबैन में अहूँ के रहनाई जरूरी छै.. तैं ...नै त कथी के खुशामद रहितय हमरा यौ....

#...देखू,, अहाँके जे करबाक अई से करू. . सबटा व्यवस्था हम क देब... 
मुदा हमरा जे कहब ऐ घूर धूँआ में लागल रहू से नै होएत.... हमरा ततेक फुर्सत नै य.... करबा चौठ करै छैथ.....

#...बुझहै छलियै हम... हमर बात त ऐहिना लेश देत अहाँ के... कहिया सोहेलौं अहाँके जे आय हम सोहाएब...

# ..बातक बतंगर नै बनाऊ... बिनु सोहेने दू दू टा चिलका अई काँख तर.....

#...जरल पर और नै जराऊ हमरा.... टेबूल पर दुध राखल अई... पीबाक मोन हुअय त उठि क पीबि लेब... हम सुतै छी....

#...आब ऐहि लेल रूसू फूलू नै.. .

#...ककरा पर रूसब हम... हमरा के अछि बौंसनाहर जे रूसब हम.... 
क्रमश:......
......
........
(अधिरैतिया पहर..)

#...कैह देलौं न...... हमरा देह पर हाथ नै राईख सकै छी अहाँ...

#...अरे,सुनू त सही...

#...किछु नै सुनबाक अई हमरा...... चूपचाप सुतय दिय हमरा. ..

#...अछ: ई कहू... की सब होईछै... एहि करवा चौठ में....

#...हमरा नै अई बुझल... अहाँ बुईझियो क की करबै....

#..अछ: हमर की सब काज परत एहि में......... तखन टीबी देखैत काल मोन अशांत रहबे करय.. तै पर अहाँ....... खैर कहू ने...

#,...अहाँके जेना बुझले नै य.... दिलवाले दुल्हनियाँ ले जाएगें फिल्म में...काजोल आ साहरूख खान के नै देखने छियै.......

#...ओ... चालैन में मुँह देखै बला...... अरे से त बहुतो फिल्म में देखेने छै....

#...हँ त.... सेह पाबैन छियै की....

#..और.......

#...ओर हम त सबटा व्यव्स्था कए नेने छी... अहाँ खाली पुजा प्रशाद लेल फल फूल आ मिठाई आनि लेब....

#...और.........

#...और की... तामस तेख नै करब.... तुरन्ते जे तमसा लगै छी....

#...औऱ..........

#...हे...... सबटा बुझहै छी अहाँके हम.... और किछु नै... करवा चौठ काईल्ह छीयै....

शुभकामना............(संतोषी)