Welcome Guest | Login

Our Achievements

द्वालख... हम्मर गाम..

मजाके मजाक में...
हम सब अपना गाम के नामें एकटा फेसबुक पेज बनेलौंह....
द्वालख नव निर्माण समिति.. DNNS..
दू टा बात रहय मोन में...
पहिल,,
सब गौंवा घरूआ एक ठाम रैहि बातचीतक आदान प्रदान करब...
दोसर...
जतेक गोटे बहरबैहिया, आय अर्जन से जुरल छी,
अपन मेहनतक पाई के किछु अंश गाम समाजक हीत में खर्च करब..
ध्येय एतबहि,
की मरणोपरांत किछुए दिन खातिर समाज में जीवंत रही सब गोटे...
हाथों हाथ लेलैथि सब गोटे.....
किछुए दिन बाद... DNNS ..
NGO.. के रूप रेखा ल लेलक...
समस्त ग्रामीण ऐहि सँ जुरि गेलाह...
फलस्वरूप...
1. गाम में पुस्तकालय स्थापना...
2. वृक्षारोपण...
3. 15, अगस्त विशेष...
4. 26, जनवरी विशेष...
5. पुस्तकालय भवन लेल भुमि दान...
6. मिट्टी करण....
7. सर सफाई अभियान...
8. माता मंदिर रंगाई 12001/- रूपैया खर्च....
9. दैनिक अखबार.....
10. गामक चौतरफी बाट पर जनरेटर सँ 20टा बल्व लगा क 6 बजे सँ 10 बजे राईतक ईजोत...
11. एकटा विधवा के एकमात्र पुत्र के बिमार भेला पर ब्लड डोनेट 7000/- रूपैया क सहयोग....
12. महासरस्वती पुजनोत्सव......
ई सब काज DNNS के माध्यम सँ द्वालख बासी क रहल अई....
हँ.. किछु उथल पुथल त चैलते रहैत छै...
मुदा,,
समाज हित में डर कथी के. ...
DNNS.. गामक, समाजक लोक चला रहल, समाजक खातिर...
सपना साकार भ रहल.....
युवा वर्ग के सब सँ बेसी चाहना... DNNS..
सत्त जौं कही त ...घोघ तरक कनियाँ बहुरिया सँ ल के ओछाईन पर परल बृद्ध तक के DNNS जुबान पर छैन...
ऐहि सफलताक पाछू गामक युवा वर्ग के हाथ अई...
सत्ते ..
युवा राष्ट्र के शान छी.....
हम ...
DNNS के .... (नोकर)
ऐहि युवा सब के आत्मा सँ बधाई दैत छी जे DNNS के एहि मुकाम पर अनबा में अथक परिश्रम केलैन....
संगहि,
DNNS के सहयोग क के अपन गामक प्रति, अपन माईटक प्रति अपन दायित्व निर्वाह केनिहार महामानव सब के हृदय सँ सादर धन्यवाद कहय चाहै छी.....
DNNS....
DNNS के महामंत्र....
समाजक लोक....
समाजक हित में....